Monday, January 27, 2014

नेता जी

कैलास दास

हम देशके रक्षक छी
हमरा सँ किछु सिखु
देश रक्षा कोना करबै
हमरा सँ ई पुछू ।।

देश द्रोही सँ सावधान रहूँ
देशके रक्षाक लेल कुर्वान रहुँ
लोभ लालच सँ सावधान रहुँ
अपन विधान पर अडल रहूँ

भ्रष्टाचार सँ दूर रहुँ
देशक झण्डाक शान राखु ।
मातृ भूमिक उच्चा नाम करु
देश रक्षाक लागि कुर्वान रहूँ ।

अपन देश सँ प्रेम करु
विदेशी सँ न्यारा रहू
हरदम एक आवाज उठाउँ
देश रक्षाक लागि कुर्वान रहू

नेता जीक ई भाषण सुनालक बाद जनता लोकनि ।

जनता सभ लालच मे आएल
मतदान दऽकऽ सेहो जितौलक
खुशी खुशी खुशी आ हासिते हसिते
मारि झगडा सेहो मचौलक ।

नेता जीत कऽ पद पर आएल
रुप अपन रावण सन धएलक
मने मने विचारए लागल
के हमरा सँ दुशमनी कएलक ।

अब जनताक विनती

हे हमर भाग्य विधाता
हमर अहाँ सान छी ।
देश अहाँ जान छी ।
हमर अधिकार मिलत तखन
अपन आशीर्वाद भेटत जखन

नेता जी कहैत छथि
उ उपदेश हमर ढोग छलै
भंष्टाचारी करबाक समय अएलै
नहि हम करबै भ्रष्टाचारी
कोना बढबए हम अगाडि....२

No comments:

Post a Comment