Wednesday, May 25, 2016

नाम आ बदनाम

कैलास दास

जानकी एतह जन्म लेलन्हि

तँ जनकपुर धाम अछि ।

देश—विदेश मे नाम अछि,

मुदा एहि ठाम बदनाम अछि ।।


मठ—मन्दीर आ सर—सरोवर

एतह के पहिचान अछि ।

मुदा ओकर आगा—पाछामे

मांस—मछरी आ दारु के दोकान अछि

तँयौ हमर जनकपुर महाने—महान अछि



आदर्श नारी के सेहो एहि ठाम

बड नाम अछि,

मुदा अखन

गल्ली—गल्ली आ लाँज मे

खुलेआम नारी बदनाम अछि ।




मिथिला के डोमो बड महान अछि,

जकर रामायाणो मे उखान अछि ।

मुदा

अखन अपन कर्म सँ ब्राह्मणो बदनाम अछि,

दोसर समुदाय के त नामे नाम अछि ।।



धर्म—कर्म मे जनकपुरक लोक के बडा नाम अछि,

पाप—नास के ई स्थान अछि

मुदा, मन्दीर तोडि आ नदी भथि

खेत आ घर निर्माण मे धर्मो के नहि ज्ञान अछि

तँयौ हमर जनकपुर महाने—महान अछि



 मठ मन्दिर के बाबा सबके

सेहो बडका नाम अछि

जग्गा बेचि परिवार बनाबएमे

सदिखन हुनकर ध्यान अछि

तँयौ हमर जनकपुर महाने—महान अछि


देश—विदेश मे बड नाम अछि

मुदा, एहि ठाम बदनाम अछि ।।

No comments:

Post a Comment